आस्था
बाट केर असमर्थता आ’ अभावक सब खाधिकें
हम बामनी एही पाएर सँ निश्चय करब गऽ पार |
असम्मानक कांट सँ एहिखन भने हो–
पाएर ई लिघुराह |
किन्तु
मनकेर चेतनामें नहि देबई लागऽ अवश्ये
आलसक ओ बीझ |
हम अपन विश्वास केर एही घूडमें
उत्साह केर सदिखन लगाएब ढेङ |
बिनु अपन गंतव्य धरि थाकऽ देबई नहि
हम अपन अस्तित्व
प्रबल ई अस्तित्व
सबल ई अस्तित्व
हम बामनी एही पाएर सँ निश्चय करब गऽ पार |
असम्मानक कांट सँ एहिखन भने हो–
पाएर ई लिघुराह |
किन्तु
मनकेर चेतनामें नहि देबई लागऽ अवश्ये
आलसक ओ बीझ |
हम अपन विश्वास केर एही घूडमें
उत्साह केर सदिखन लगाएब ढेङ |
बिनु अपन गंतव्य धरि थाकऽ देबई नहि
हम अपन अस्तित्व
प्रबल ई अस्तित्व
सबल ई अस्तित्व