।।भैया जीक गीत।।
भैया सौंसे जनम गमौलनि सुखक तैयारी मे
नून-हरदि-तरकारी मे।
भैयाक नेनपन पढिते बितलनि
तहिना गेल जुआनी आधा
भैया रन-बन खूब बौएला
जिनगी लागनि बाधे बाधा
कहुना नोकरी किनलनि जथा बेचि पैकारी मे।।
भैया बड-बड पाइ कमौलनि
बहु-बेटा कें खूब खुआओल
गां मे बडका महल बनौलनि
लोकक हिरदय सांप लोटाओल
लेकिन, चैन-निन्न सब बिला गेलनि बटमारी मे।।
भैया वृद्ध भेला तन कांपय
भैया राम-नाम मे लगला
बेटा सब अबंड बहरेलनि
सुख के स्वाद ने पाबय सकला
अहिना जमराजक घर चलला महा लचारी मे।।
भैया सौंसे जनम गमौलनि सुखक तैयारी मे
नून-हरदि-तरकारी मे।।
नून-हरदि-तरकारी मे।
भैयाक नेनपन पढिते बितलनि
तहिना गेल जुआनी आधा
भैया रन-बन खूब बौएला
जिनगी लागनि बाधे बाधा
कहुना नोकरी किनलनि जथा बेचि पैकारी मे।।
भैया बड-बड पाइ कमौलनि
बहु-बेटा कें खूब खुआओल
गां मे बडका महल बनौलनि
लोकक हिरदय सांप लोटाओल
लेकिन, चैन-निन्न सब बिला गेलनि बटमारी मे।।
भैया वृद्ध भेला तन कांपय
भैया राम-नाम मे लगला
बेटा सब अबंड बहरेलनि
सुख के स्वाद ने पाबय सकला
अहिना जमराजक घर चलला महा लचारी मे।।
भैया सौंसे जनम गमौलनि सुखक तैयारी मे
नून-हरदि-तरकारी मे।।