जिनगी
जिनगी पक्की सड़क जकां
जड़ भ गेल अछि
लम्बायित भ गेल अछि
दूर -दूर धरि.
पिरामिड, क़ुतुब आ
ताजक छाहरि तर बैसल मोन
उबिया गेल
बहिरायेल अछि
पुरान भूगोल पर
नबका कम्पासक संकेत सँ निर्देशित
देखैत छी -
ओछौल अछि जिनगीक सड़क
दूर -दूर धरि
दूर कतहु चौराहा अछि
भोंपू आ चिल्ल पों
भनक क्षीण अबैत अछि
पयैर तेज होइत अछि
हटू बचू सावधान
सुनबाक मोन होइछ
पयेर तारक पाथर सन शांत सड़क
गुदगुदाईत अछि
सुदबुगा उठल अछि
जिनगीक सड़क दूर -दूर धरि .
जड़ भ गेल अछि
लम्बायित भ गेल अछि
दूर -दूर धरि.
पिरामिड, क़ुतुब आ
ताजक छाहरि तर बैसल मोन
उबिया गेल
बहिरायेल अछि
पुरान भूगोल पर
नबका कम्पासक संकेत सँ निर्देशित
देखैत छी -
ओछौल अछि जिनगीक सड़क
दूर -दूर धरि
दूर कतहु चौराहा अछि
भोंपू आ चिल्ल पों
भनक क्षीण अबैत अछि
पयैर तेज होइत अछि
हटू बचू सावधान
सुनबाक मोन होइछ
पयेर तारक पाथर सन शांत सड़क
गुदगुदाईत अछि
सुदबुगा उठल अछि
जिनगीक सड़क दूर -दूर धरि .