हे आबेबला युग
हे आबेबला युग
अहाँ पढ़ब
अहाँ इतिहास पढ़ब –
जे हमरामे सबकिछु छल
चान-सूर्य आ’ नक्षत्रकें बना लेबाक दुर्जेयशक्ति
हे आबेबला युग ,अहाँ पढ़ब ,इतिहास पढ़ब जे -
हमरामे सबकिछु छल
मुदा मात्र ‘हम’ निञ छल
(मने भीतरक मनुष्य मरी गेल छल)
तैं हे आबेबला युग
अहाँ मुइल बापक संतान हैब