।।गिद्धक पक्ष मे एकटा कविता।।
गामक नाम—गिदवास
गामक नाम—गिदपुरा
कोनो गामक नाम गीधा
कोनो गामक नाम गिद्धौर
कहबाक माने की?
माने जे गिद्ध मुर्दाबाद
गिद्ध मुर्दाबाद मुर्दाबाद….
दोहाइ हे नियन्ता लोकनि
अरारि तॅ रहल छल हएत
गौंआं सब सॅ
मुदा शिकार बनल गिद्ध।
आ देखियौ
जे एतेक शताब्दी बाद
से गिद्ध मारल गेल
रहलै नै क्यो कुल मे रोबनहारा
करेज जुडाएल दुश्मन के।
आ देखियौ
जे दुनियां आब कानैए गिद्ध लेल
बकैए
जे उकन्नन भ’ गेल एक दुर्लभ प्रजाति।
गामक नाम—गिदपुरा
कोनो गामक नाम गीधा
कोनो गामक नाम गिद्धौर
कहबाक माने की?
माने जे गिद्ध मुर्दाबाद
गिद्ध मुर्दाबाद मुर्दाबाद….
दोहाइ हे नियन्ता लोकनि
अरारि तॅ रहल छल हएत
गौंआं सब सॅ
मुदा शिकार बनल गिद्ध।
आ देखियौ
जे एतेक शताब्दी बाद
से गिद्ध मारल गेल
रहलै नै क्यो कुल मे रोबनहारा
करेज जुडाएल दुश्मन के।
आ देखियौ
जे दुनियां आब कानैए गिद्ध लेल
बकैए
जे उकन्नन भ’ गेल एक दुर्लभ प्रजाति।